|| अहाँ ||

छवि : डोली सरकार
फोटो बनिक'
रहब अहाँ के
सचमे नाम जपिक' रहब
अहाँ के

भगवान दु:ख दै
या सुख
प्रथना करि' रहब
अहाँ के

फोटो नै पठेलौं
तऽ की भेल
चानमें छबि देखैत रहब
अहाँ के

प्रेममे धोखा मिलत
से नै सोचलौं
तैयो दासी बनि' रहब
अहाँ के

सुखल नदीमे
पानि' ऐतैं जरुर
हम बाट' देखैत रहब
अहाँ के

देखैके मोन करैय
देख लिए ठिकसँ
धडकन मे नुकाइल रहब
अहाँ के
_________________________________________


Post a Comment

0 Comments