|| चुनाव ||

जेना पाइजन कएल पोखरिमे
औकलाइछै माछसब
हेज के हेज।

जेना धीपल बाउल पर
छिछरी पटीया होइछै
किरा मकौरासब
खोता के खोता।

जेना धिपल ताबामे
अलगै छै लावा
लपेके लप।

बुझाइछै ठीक तहिना
सहसह करैत गत्तर गत्तर
हम्मर देशक नेतासब
एहिबेरुक चुनावमे।

Post a Comment

0 Comments