|| नयन मटक्का ||

अइबेर के वैलेंटाइन डे में
किछ अलग होतै
दबल मोनमे आस छल
जे नै भेलै पिछला साल से होतै

याद अछि हमरा उ पल
दू पंछी के कोना उड़ैल कै
कोना कऽकऽ छुपल छलौ
मारि' डन्टा पुलिस कनैल कै

अइबेर के वैलेंटाइन डे में
योजना बनैले छी पक्का
पहिने नयन सँ नयन मिलेबै
तब करबै नयन मटक्का

नै जाने कोई ताहि सँ अइबेर
ताका-ताकी दू घण्टा पहिने सँ होतै
टका के नै टेन्सन, पाकेट गरम छै
झाँका-झाँकी भरि' मोन हल में होतै
___________________________________________

__.✍ एस के मैथिल 
स्थान : जनकपुरधाम-१ सिता चौक,




Post a Comment

0 Comments