|| नेपालिस्तान ||

सब रावण बसल अछि ,
अई संसार में !
देश अप्पन छो... भाई ,
बुरा हाल में !!

जाग - जाग हो नेपाली भाई ,
ई कायर रावण के ,
जिंदा जड़ावल जाई !
देशमें वायरस जका खुलेआम घुइम रहल अछि ,
आबू मिलक ई वायरस के ,
जैड सँ हटावल जाई !!

चलै - चलु आगु बढु ,
अप्पन देश नेपाल के ,
नयाँ नेपाल सँ ,
एक नेपालिस्तान बनाबय चलु !!

पहिने देश छल अप्पन सिर्फ नेपाल ,
फिर बनल नयाँ नेपाल ,
कि.. नयाँ नेपाल बनल त ?
किछ परिवर्तन भेल त ?
नई..….......... 

बहुत भेल ई घमासान ,
देशक नेता सब बहुत कयलक ,
जनता के परेशान !
आबु जनता आगु बढू ,
देशक लेल आब किछ करू ,
चलु बनेबाक अछि एक नेपालिस्तान !!

जबतक जनता नई आइब रोड प ,
तबतक बनत नई देशक संबिधान !!

देशक नेता सब कहैत अछि ,
आम जनता के.……… 
अई साल पक्का । अई साल पक्का ।।
मगर आन साल जका दैत अछि ,
संबिधान कच्चा । संबिधान कच्चा ।।

आबो त जाग हो नेपाली भाई ,
कबतक रहबा निंदमें मातल !
नेपाल माई छो ई ज़ालिम सभक बन्धक में ,
कबतक रहबा तु सब सुतल ,
गहिरायक निंद में !!

उठु - उठु यौ नेपाली भाई ,
बनेबाक समय आयब गेल अछि ,
एक नयाँ इतिहास !
जे कहियो नई भेल...ऊ होएत आब... 
चलु बनेबाक अछि एक नेपालिस्तान !!

काम क - क देखायब.... हम युवक ,
अई ज़ालिम सब सँ लैड क देखायब.... हम युवक !
नेपाल माई क आन अई ज़ालिम सब सँ हम बचायब ,
चाहे उतरे किया नई पड़े सड़क प !!

बनायब हम सब मिलक ,
एक नेपालिस्तान !
जिनकर चर्चा चलतइ पूरा विश्व प !!

जय नेपालिस्तान !
जय नेपालिस्तान !!