|| विदेशिक' रक्षा बन्धन ||

भाई बहिनक' महान पावैन ,
आइल रक्षा बन्धन !
बहिनक यादमें बिदेशक' भाई सभक ,
धड़ैक रहल अछि धड़कन !!

महाजनक' कर्ज़सँ भ तंग ,
एलौं मलेशिया, साउदी आ क़तार !
विदेसोमें रहैत बहिन हम ,
याद करैत छी राखीक' त्यौहार !!

रेश्मक काँच धागा जका ,
अछि भाई बहिनक' बन्धन !
सदियों सँ मानि आइल ,
आजू अछि पावैन रक्षा बन्धन !!

भाईक लेल बहिन ल आइल ,
मिठाई संग राखी थारी में !
प्रेमसँ भाईके मिठाई खुवाबैत ,
बान्धैत छथि राखी दायाँ हाथक' कलाईमें !! 
____________________________________________