काका मारल गेला पहिले कन्यादान में

काका मारल गेला पहिले कन्यादान में
सौराठ्क मैदान में ना………!! २
एला पहिल बरद ओ बेच
तैयो कम परलैन दहेज़ ! २
बेच परलैन …बेच परलैन, खेतो अप्पन सम्मान में
पहिले कन्यादान में ना !
काका …………………….

दोसर बेटी केलइन विवाह
सुनीते मांग ओ भेला बताह !२
अबिते ..अबिते मूर्छित भऽ खसला नवका दालान में
दोसर कन्या दान में ना
काका ……………………

कहा मैथिल बेटी के बाप
किया अछि बेटी अभिशाप ! २
सब दिन …सब दिन जिबैछी घुटि -घुटि कऽ अपमान में
बेटी कन्यादान में ना
काका ………………….

उठू मैथिल बेटी के बाप
बैस्ल्हून किया ऐना उदास ! २
एल्हूँ ….एल्हूँ हम नवतुरिया एही विरोध अभियान में
बिन दहेज़ सम्मान में ना
काका ब्याहु धिया आब
मोछ पकरि कऽ शान में
सौराठक' मैदान में ना ……………
काका ब्याहु धिया …..!! ४
                              __.✍ नविन ठाकुर