गज़ल ~ एकटा अहिँके तलासमे छी


एकटा अहिँके तलासमे छी
संग जीयब से आसमे छी॥

अहाँ तनमनमे मात्र कहाँ,
हमर एक-एक साँसमे छी॥

दर्द सँ फाटि रहल य हिया,
जुनि पुछु कते निरासमे छी ॥

हम पियक्कड तऽ भठ्ठीमे,
अहाँ शराबक ग्लासमे छी॥

छोडि गेलौ असगर अहाँ मुदा,
लगैए हमहीँ बनबासमे छी॥
_________________________________________