जा रहल छि हम कैलाश


जा रहल छि हम कैलाश, भोला के बोलाब,
बढ़ि रहल छै धरती पर पाप भोला के बताब।

अहूँ चलवै साथ तऽ हिम्मत बढ़ि जेतैय
रस्ता सेहो निक जेका कटि जेतैय
बढ़ि जेतैय ताकत चलु साथ मिलाके
जा रहल छि हम ......

काँवरिया रहतै साथ तऽ भोला खुशी भऽ जेतैय
अगर गवाह रहतै साथ तऽ फैसला जल्दी भऽ जेतैय
संग लऽ लिय कनिक आँसू चरणों में चढ़ाबै लऽ
जा रहल छि हम .....

बहुत भोला छै हमर भोला सुनतै बात ध्यान सँ
कष्ट सब दूर करतै तीसरे नयनके मार सँ
चलै चलूँ सब मिलक' भोला के दरवार सर झुकबैले
जा रहल छि हम ....
_______________________________________________


__.✍ अशोक कुमार सहनी 
लहान ४ रघुनाथपुर ,सिरहा ,नेपाल
हॉल (दोहा /क़तार )