साओन मास आबिए गेलै


साओन मास आबिए गेलै
पिया कें संदेशो ने एलै
कि आहो रामा ..........
अस्गर ई सावन कोना काटब हो राम
कि आहो रामा ..........
सुख - दुःख ककरा संगे बाटब हो राम

सखीसब फूल लोढैछै,हमरा बहुते खौझाबै
नन्दो, भौजाइ मिलिक' हमरे सब बैण्ड बजाबै
कि आहो रामा .........
अहुबेर पिया नहिए आएत हो रामा
कि आहो रामा .........
अहुबेर गोदिया सुन रहि जाएत हो रामा

अहुबेर बाट हम जोहबै
हुनके लेल पूजा करबै
कि आहो रामा .........
पूजि - पूजि गौरा,पिया कें मनाएब हो राम
कि आहो रामा .........
सपनेमे पियाकें मन भाएब हो राम
__________________________________________