गज़ल ~ हम जहिया सँ अहाँक जानि लेलौं !!

 _✍ एस के मैथिल

हम जहिया सँ अहाँक जानि लेलौं !
अहाँक अप्पन जिनगी मानि लेनौं !!

अहाँक हर मांग पूरा करब जिनगीमें !
देखु अहाँक लेल झुमका आनि देलौं !!

सूरत अहाँक मनके विभोर करैय् !
देखते रही अहाँके मनमें ठानि लेलौं !!

किरिया खैलौं मन्दिरमें संगे जिव के !
हाथमें जॅ, तिल, फूल आ पानि लेलौं !!

हरपल तड़पैय अहिंक लेल एस के !
मोन भेल तऽ कनिक कानि लेलौं !!