गज़ल ~ लालजोडा में अहाँ लालेलाल छी

लालजोडा में अहाँ लालेलाल छी !
हमर नयनक' बनल सवाल छी !!

हमर मासुमियत पर किएक अहाँ !
एना बिछाबि रहल प्रेमक जाल छी !!

नै जानि कोन जाँदू भरल अछि अहाँमे !
हमहूँ अहीँ के पाछू बेहाल छी !!

मिलिते नजरि अहाँके यै हमरा सँ !
जेना लागै हमहूं भऽ गेल मालामाल छी !!

मोन नहि करै अहाँ सँ दूर जाइ कहियो !
अहाँ तऽ चिजे तेहन बवाल छी !!