|| गाम ओतै हमर भाई ||


सबहक भाई के देखिक'
कनैत होतै दीदी !
बाट' मे नयन बिछाक' दिन
गनैत होतै दीदी !!

ठोर  मुह  सुखौने
निराश  भेल  होतै !
जखन चौका लगाव लेल
पिठार सनेैत होतै दीदी !!

रंग बिरंगक' राखी हमरा लेल
लौने होतै बजार सँ !
गाम  ओतै  हमर  भाई
से  जनैत  होतै  दीदी !!

अनेक प्रकारक' फल फूलसँ
थारी सजाक' हेतै रखने !
राखी  बान्हव  से  उत्साह  मे
फनैत  होतै  दीदी !!
______________________________________