|| भैया हमर ||


भैया हमरा सँ दूर अछि
मुदा मन मे पूर्ण विश्वास अछि
रक्षा बन्धन के दिन
भैया निश्चय हमरा गाम आएत
संग मे प्रेम दूलारक भंडार लाएत [१]

आइ मोन बड हर्षित अछि
भैया के दर्शन होतै
देखते भैया के
खुशी सँ आँखि' वर्ष लगतै [२]

करीया टीका लगाक'
भैया के नजरि - गूजरि उतारव
फल फूल दीप चंदन सँ थाल सजाक'
भैया के आरती उतारव [३]

फूलक' वर्षा वर्षबैत
भैया के हाथ पर राखी बन्हव
सब साल राखी मे हमरा गाम आएव
उपहार के बदला भैया सँ एह: वचन मागव [४]
______________________________________________