|| हैप्पी भेलेनटाइन डे ||


मोनक आकास पर घिरलै बादल ,
छै सौंसे सनसाइन डे ।
हैप्पी भेलेनटाइन डे -- हैप्पी भेलेनटाइन डे ।।

औंठी देलियै झुमका देलियै ,
देलियै पाएरक' पायल ।
प्रेम हमर टटका नहि रहलै,
एक क्षणमे अरूआयल ।।
राइतमे हम त' गाबी विरहा --
भोरसँ विस्की वाइन डे --- हैप्पी भेलेनटाइन डे ।।

छोड़िक' घंटी मिलन होइत छल,
नुका चोराक' नीस दिन ।
मोबाइल ओकर रिचार्ज करा दी,
बाँचल एखनो तकर ऋण ।।
बर्थ डे धरि मोन छल हमरा,
बिसैर गणतंत्र की आइंस्टाइन डे-हैप्पी भेलेनटाइन डे ।।
_______________________________________


__✍ मैथिल प्रशान्त 
दुर्गौली, बेनीपट्टी (भारत)