|| पिया संगे खेलव होली ||


पुस बितलै पिया माघ बितलै
आब औतै होली यौं !

विदेश सँ गाँउ आउ  पिया संगे
खेलव होली यौं !!

हम अहाँ के रंग लगाईव यहाँ
भिजाइब चोली यौं !

संगे संग होली खेलब आएब
पिया अहाँ जल्दी अपन गाउ
 यौं !!

होली मे बनाएब हम पुरी, पुवा,
अहाँ के  खुआएब भांगक पेड़ा !!

रंगल रहब होली के रंग मे खूब,
बजाइब अहाँ ढोलक तबला !!

गाइब अहाँ होली के गित सबगोटे
कहतै हो हो जोगिरा सररररररररर

जोगिरा सरररररररररररररररररर
जोगिरा सरररररररररररररररररर
________________________________________