|| आब हेतै ईद ||

निकसल चान,
आब हेतै ईद !
भेटल परान,
आब हेतै ईद !!

पूर भेल हमरो,
मोनक मनोरथ !
मूसकल अजान,
आब हेतै ईद !!

भरि लेल हियामे,
ओकरे पिरितिया !
गमकल गुमान,
आब हेतै ईद !!

खतम भेल हमरो,
प्रीतक पिपासा !
जागल बिहान,
आब हेतै ईद !!

नैनहि सऽ पढलौ,
प्रेमक परिभाषा !
तें बिहुंसल कुरआन,
आब हेतै ईद !!

करेजमे साटि करब,
सिनेहिया सिंचन !
जीतल जहान,
आब हेतै ईद !!
________________________________________________ 



Post a Comment

0 Comments