|| BMW कार ||

ओढि लाल चुनरी करि सोलह श्रींगार
हमर प्रेमिका भऽ गेल दोसर संग फरार
लाख टका के प्यार छने मे खुदरा कऽ गेल
जेकरा पाछु बेच देलीयै BMW कार

गाड़ी, बैंकबैलेंस खाऽ गेल करजो करागेल
हमर लिभर, किडनी मेकअप मे चिबागेल
जेब काटिगेल दोस-महिम छोरा देलक
चारुभर सँ हमरा गुडी जका उरागेल
भिखमंगा बनादेलक तन कऽ गेल उघार
जेकरा पाछु बेच देलीयै BMW कार

कनलो नहि जाइए चुपलो नहि जाइए
मोनक बेदना सत्या नुकएलो नहि जाइए
हमरा देख नुकाएल जेना बिलन देख हिरोइन
कपार लथार मरलक चोट सहलो नहि जाइए
हमरे देलहा नाल परि मे सजा कएलक प्रहार
जेकरा पाछु बेच देलियै BMW कार
______________________________________________

Post a Comment

0 Comments