गज़ल ~ अहिंके नाम

छवि : केकी अधिकारी 
ई देश ई शहर ई गाम अहिंके नाम
ई अमृत ई बिष ई जाम अहिंके नाम

हम तऽ इश्वर, अल्लाह नै अहाँक दिलके
मुदा भेल हमहिटा' बदनाम अहिंके नाम

ई पैन्ट ई कोट ई टाइ हाइफाइ बनल
सब देखाबटी तामझाम अहिंके नाम

ई बेलि ई चमेली ई अरुणक फुलसब
अहाँके लेल फुल गुमनाम अहिंके नाम

अहाँके बुल्कि, नथिया अहाँके झुम्कामे
सबटामे थिक दुटा नाम अहिंके नाम

अहाँ मानु नहि मानु ई तऽ अहाँक मर्जीए
अब्दुल नै पैघ आब गुमान अहिंके नाम
________________________________________________


Post a Comment

0 Comments