Lyrics_हमरा प्यार भऽ गेलै

दिलमें बसल ओ छलै,
आई दीदार भऽ गेलै - २
की कहु यौ, यौ मिता यौ
ओकरा सँ हमरा प्यार भऽ गेलै - २

दिलमें बसल ओ ......

चालि' ओकर मतवाली जका,
तिरछी नयन कटार जका - २
जादू उ कोन चला कऽ गेलै,
दीवाना हमरा उ बना कऽ गेलै - २

जे राति' में आबि'कऽ सब दिन,
आई हरान कऽ गेलै
की कहु यौ, यौ मिता यौ
ओकरा सँ हमरा प्यार भऽ गेलै - २

ओकर अदा के कायल भेलौं,
पैरक जेना हम पायल भेलौं - २
जादू ई कोन चला कऽ गेलै,
बिजुरी ई दिल पऽ खसा कऽ गेलै - २

संगमे छल एक्के टा दिल,
अप्पन नाम कऽ गेलै
की कहु यौ, यौ मिता यौ
ओकरा सँ हमरा प्यार भऽ गेलै - २

दिलमें बसल ओ ......

Post a Comment

0 Comments