Lyrics_मास फागुनमे कचकैए मोन सजना

मास फागुनमे कचकैए मोन सजना मास फागुनमे ।
कुहकै कोइलिया लागय रिंगटोन सजना मास फागुनमे ।।

रंग अबीरक पठबै फोटो ।
पैघो रभसै रभसै छोटो ।।
एसगरमे राति अकाबोन सजना मास फागुनमे - -

ककरा संग खेलबै होरी ।
करतै के पिया बलजोड़ी ।।
अहाँ बिनु फगुआ अनोन सजना मास फागुनमे - -

मुँह दुसय पिया पूरी पूआ ।
खिच रखने छी पुरना नूआ ।।
एबै कहिया करु फोन सजना मास फागुनमे - -
________________________________________



Post a Comment

0 Comments