गज़ल ~ १४ फरवरी के ब्रेकअप

डिजे बजतै डांस होतै आधा राति' सँ पार्टी करबै हबेली पऽ ।
१४ फरवरी के ब्रेकअप पहिल बर्षगाठ बनेबै हबेली पऽ ।।

शाकाहारी, मांसहारी दुनु प्रकारक भरपुर बेवस्था केने छी ।
पार्टी चलतै मनोरन्जन होतै बाई नचेबै हबेली पऽ ।।

जख्मी दील सब के नेउता भेल कृप्या अहाँ सब पधारु ।
दारु चलतै बियर चलतै गाजा-भांग पीबऽ नचबै हबेली पऽ ।।

सगरो दुनिया के देखेबै तोरा बगैर जिन्दा छी पार्टी करैछी ।
फेसबुक, ट्विटर पऽ लाइभ देखेबै दारु मे नहेबै हबेली पऽ ।।

कतेको मोन के भ्रम टुटतै ठेहुना सँ अकल एतै दीमाग मे ।
जरि' मरतै ओऽ जखन ओकरा सहेली के घुमेबै हबेली पऽ ।।
______________________________________________

Post a Comment

0 Comments