मैथिली लप्रेक ~ मिथिलाक किस डे

- आँए रौ, बुझिक' एना अनठबैछे किए ? सोम नै छै आइ ?
- गै भकलोलही से नै पुछलियौग ! भेलेन्टाइन सप्ताहके कोन दिन छै ? से कहलियौग।
- अच्छा बौवा से बात ! आब बुझलियौ तोहर भीतरी मनसाय। छै तऽ आइ किस डे, मुदा भेलै कि से तऽ कऽह ।
- भेलैअ कहाँ किछु। आब तऽ हेबाक चाही ने ? आ नऽ कने लगमे ...
- रै मचरुवा.. ई मिथिला छै आ मिथिलामे विवाह सँ पहिने एहन किछु नै होइछै। झाटब बढनिसँ एहन किस डे आ फिस डे कें। बड औगताइ छौ तऽ जो आ हाथ मांगिआ हमर बाबूजी सँ ..
भुलीके जबाब सँ आलोकके मोनमे उठल भेलेन्टाइनिया हिलोर मोनहिमे सेराक पानि' भऽ गेलै। मुदा गर्व भेलै अप्पन प्रेमिका पऽ आ एतुका संस्कार पऽ।

Post a Comment

0 Comments