|| बौवा हमर ||

हमरो बौवाकें मामा ,
किनके लैथिन जामा !
बौवा जेथुन मामा गाम ,
आएल छै बौवाकें नाना !!

नानाके बारीमें फरल लताम ,
बौवाके मुंहमें भेल नै दाँत !
बौवाके नानी करत दुलार ,
बौवा हमर अछि बड़ सुकुमार !!

ऐलै बौवाके मौसी ,
भेल छै भरि देह खौंसी !
बौवा भागल मम्मी लगें ,
देखिक मौसी के खौंसी !!

बौवाके मामी हँसि देलखिन ,
बौवा मुंह पर ताकि देलखिन !
बौवाके मामीके लागल लाज ,
जँ बोवा हमर हँसि देलखिन !!

बौवा हमर बड बुद्धियार ,
सबकेउकें कैयलक प्रणाम !
छोडिक नाना नानी के गाम ,
घुरिक आएल फेर अप्पन गाम !!
_________________________________________