मैथिली लप्रेक ~ फेसबुकबला प्रेम



__.✍ एस के मैथिल 
स्थान : जनकपुरधाम-१ सिता चौक,

पिरितिया सारिका अखन धरि ऑनलाइन नै एलै ! ओ त' व्हाट्स एप्प कयने छलै की आई पक्का १० बजे ऑनलाइन आबि जेतैक मुदा अखन धरि नहि एलै, कोनो बात नै ताबे सारिका के फोटो सबमें लाइक/कमेंट कऽ दै छियै । आखिर फेसबुकबला प्रेम अछि तऽ लाइक आ कमेंट करहिटा परत ने ! ओना आइ  केँ फोटो बड मोन हरियाब बला अपलोड कयने अछि । इ सब सोंचिते रहैक की ओकर नोटिफिकेशन मे सारिकाक नाम लौकलै। एस.के.जखन देखलकै त' बौक भेल देखते रहि गेलै । ओकर सारिका सिंगल सँ कमिटेड भ' गेल रहैक ।