|| आबि अहाँ तऽ ईद करब ||

आबि अहाँ तऽ हमहू एह बेर ईद करब
मोनक लौल एह बेर अहाँक दीद करब
कतेक दिन दोसरे संग खुसी बाटी
कतेक दिन दोसरे पर उम्मीद करब
आबि अहाँ तऽ हमहू एह बेर ........

निपल पोतल आँगना बड़ सुनसान छै
अहाँ बिनु ई महान पर्व झुझुवान छै
अधूरे रहि गेल जे एह पावैनक बिद सब
आबू संगे मिलकऽ पूरा बिद करब
आबि अहाँ तऽ हमहू एह बेर ........

केकरा कहबै ईद मुबारक बस छै संग याद
मन रहै उदास नेह खोजै प्रितक चाँन्द
बनि चान पुराबु हमर मोनक ललसा
दुश्मन देल ताना एह बेर सिद्ध करब
आबि अहाँ तऽ हमहू एह बेर .......
____________________________________________