गज़ल ~ किएक सर्मावै छी हमरा सँ अहाँ

किएक सर्मावै छी हमरा सँ अहाँ !
यै नजर मिलाउ नजर सँ अहाँ !!

हम अहाँक छी, अहाँ छी हमर !
हमरा लग आउ निडर सँ अहाँ !!

अपन नैनक पौतीमे बन्द केलौं !
चोरा हमरा हमर घर सँ अहाँ !!

हमहूँ अहाँ पर फिदा भ गेल छी !
बड्ड सुन्नर छी चौनगर सँ अहाँ !!

प्रेम आब अपन सिआन भ गेलै !
बान्हूँ हमरा विवाहक आँचर सँ अहाँ !!
____________________________________________