|| हमहुँ पढ़बै बाबू ||


बाबू हौ नई हम जईवो
काम करैला
हमरा लिखा दा
स्कूल मे नाम
सबगोटे जाइ छैक
स्कूल पढ़
हमरा कईला, करबैत छा
काम धन्दा हौ बाबू !

लिखादा स्कूल मे नाम हौ बाबू
बिना पढ़ने सँ आब नई छैक काम
हौ बाबू पैढ़ लिख' कऽ
रखबो तोरे नाम
चलन बाबू, चलन हौ
लिखाबि दा नऽ स्कूल मे नाम

बिना पढौने काम नई छैक बेटी के हौ बाबू
लेबो तोरे नाम
कर हमरा पऽ इहे उपकार हौ बाबू
चल स्कूल मे लिखा दा हमरा नाम हौ बाबू
________________________________________