मैथिली लप्रेक ~ प्रेम जनम-जनम के




__✍ गायत्री सिंह 
लहान, सिरहा (नेपाल)

- पायल! हेने सुनु एगो बात मलुम अछि ? आजुक कोन दिन छय से?
- हँ! आई मंगल् दिन छैक।
- चुप! भोथी, आई भेलेन्टाईन डे छैक माने प्रेम दिवस।
- तऽ कि भेलै...??
- प्रेमी अप्पन प्रेमिका के गुलाबके फुल दैत छैक।
- किए अहुके किनको सँग चक्कर चलैत छैक कि ?
- नहि पायल हमर सुनसान जिन्दगीमे किनको जग्गा नई अछि बस अहाँक' सिबाई
- हुँ! चूपु, अहाँक तऽ खाली मजाके रहैय
- नई पायल अहाँक किरिया हर क्षण अहिंक सपना देखवला दिवाना कियो दोसर नहि बस अहाँक' राहुल अछी।
ते हम अहाँ लेल गुलाबक' फुल लऽकऽ एलहुँ।
- राहुलक' बात सुनि' पायल खुब जोरसँ कानऽ लागल
- कि भेल पायल ? किया एना कनै छी ?
- हमर बियाह बाबूजी दोसर ठाम तय कऽ देने छथि। हम अहाँक प्रेम स्वीकार नई कऽ सकैत छी। हमहूँ अहाँसँ प्रेम करैत छलहुँ मुदा कहबाक लेल हिचकिचाईत रहि कारण लडकी छि ने, मुदा अहाँ लडका होईतो प्रेमक' प्रस्ताव राखमे अपन दिलके बात कहमे बहुत समय लगा देलहुँ....
- हम अहाँक बिना नै जिव सकब पायल "I Love You I Really Love You"
- पायल कान लागल
- नोर देखिक' राहुल अपन चोट छुपा, पायल के मन भरऽ लागल
पागल चूपु ने! नै ने एना कानु, अहाँक मुहसँ हँसी निमन लगैत अछि। चूपु एत बैठु आ सुनु जे हम कहैत छी...
- देखु पायल प्रेम के मतलब मिलन नई होइ छै किएक तऽ बिछोड एकर सहि परिभाषा छैक। यार! कि भेलै अहाँक आ हमर बियाह नई होयत तऽ
- पायल कानैत ~ चूपु हमरा नई भुलाबू
- सुनु हम अहाँक माथ पर हाथ राखि' किरिया खाइत छी, हम हर क्षन अहाँक सँग रहब बस एक बेर याद कऽलेब हम तोता जका उडिते चलि' आएब ताहि'सँ इ नोर पोछु आ घर जाउ सब बाट' ताकैत होएत मुदा एगो बात सुनि' लिय अङ्ग्रेजीमे....
"Love Is Not Heart Of Life It's Only a Part Of Life"
- पायलके माथ चुमैत दुनु अप्पन-अप्पन घर चलि' जाति' अछि'।