|| प्रदेशमें ||

हम तऽ  मजबुर छी ते छि परदेश मे
अहाँ रहु अपने देश मे
हम तऽ ....

अहाँ सँ दुर छी मोनो नऐ लगैए
रहि-रहि सुर्ता घरे पऽ भगैए
बिश्वास अछि निके सँ हेब आओर कि कहु सन्देश मे
हम तऽ....

जेना-तेना रह परैए रहै छी
सब दुख तकलिफ सहै छी
अब तऽ खनो खाइ परैए कंपनी के मेस मे
हम तऽ .....

कामेकाज मे लागल रहै छी
भरि-भरि राति जागल रहै छी
एक्को मिनट के फुरसत नै तेलो लगबेला केस मे
हम तऽ .....

बात हमर सुनु खेलु कुदु खाउ
बौवा अहाँ स्कूल जाउ
सबकिछ सहै छी अहिसब के लेल आओर कि कहु विशेष मे
हम तऽ.....
_______________________________________________