|| मैथिली भाषा ||


मैथिली अछि हमर मातृभाषा,
कोना करु दोसर पर आशा ?
काश मैथिली पढितौ लिखितौ,
मनमे अछि पहिल अभिलाषा !!

अङ्ग्रेजी नेपाली खुब रटलियै,
अर्थ कि रहे किछ ने बुझलियै !
मास्टर पुछ्लक बिसरी गेलियै,
मारी खाऽ हक्कन नोर कनलियै !!

भाषा नहि' बुझि' हम भेलौ भुस्कुल,
अखनो नहि' जाईछी सबदिन स्कुल !
एमहर सुनु यौ अङ्ग्रेजी विद्वान,
मिथिला महान हमर भाषा महान !!
_____________________________________


__✍ गायत्री सिंह 
लहान, सिरहा (नेपाल)